Sunday, July 17, 2011

३८ टा जिल्ला प्रशासन कार्यालय एमआरपी वितरण करहल

काठमाडौ , श्रावण १ । सरकार आइसँ राजधानी बाहरके ३८ टा जिल्ला प्रशासन कार्यालयसँ मेसिन रिडेवल पासपोर्ट एमआरपी वितरण करहल अछि ।

 आइसँ ३८ जिल्लामे राहदानी बनाबयके आ वितरण करयर्के काज शुरु भेल परराष्ट्र मन्त्रालय जनौलक अछि । जिल्लासँ राहदानी वितरणके लेल आवश्यक फारामसब सम्बन्धित जिल्लाम पठाचुकल गृह मन्त्रालय जनौलक अछि । सरकार भादव महिनामे थप २०  आ आसिनधरिमे पचहतरो जिल्ला प्रशासन कार्यालयसँ राहदानी वितरण करबाक तयारी क रहल अछि ।
राहदानी वितरण होबयबला जिल्लासबमे मोरङ, सुनसरी, तेह्रथुम, धनकुटा, भोजपुर, खोटाङ, ओखलढुंगा, संखुवासभा, बारा, पर्सा,  रौतहट , कास्की मनाङ, मुस्ताङ बागलुङ, पर्वत आ म्याग्दी रहल अछि ।

अहिना, आरो जिल्लासबमे लमजुङ, बर्दिया, तनहुँ, बाँके, स्याङजा, गोरखा, कैलाली, अछाम, डडेल्धुरा, कन्चनपुर, डोटी, दैलेख, सुर्खेत दार्चुला, हुम्ला आ बैतडी रहल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन