Sunday, July 17, 2011

२५ केजी चरेससहित महिला पक्राउ

श्रावण १, कैलाली । कैलालीके गोरीफन्टा भन्सार नाकासँ भारत ल जारहल साढे २५ किलो चरस सहित ५ गोट महिलाके पुलिस अपन नियन्त्रणमे लेलक अछि ।
जिल्ला प्रहरी कार्यालयके प्रमुख बसन्त कुमार पन्तके अनुसार भिन्सर साढे ८ बजे ५ गोट महिला डाँरमे बान्हिक नुका क ल जारहल २५ किलो चरस चेकजाँचक क्रममे बरामद कएलगेल अछि ।
तस्करीमे सँलग्न रहल पर्सा, बिरगँजके बाल कुमारी घिमिरे, बिष्णु बानियाँ, बिष्णु लामा, बारा सिमराके रिता मगर आ शोभा तामाङके पुलिस गिरफ्तार क कारबाही प्रकृया आगु बढाऔने जनौलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन