Friday, August 12, 2011

घुस मागयबला नासुके कार्यालय प्रमुखके आगु थप्पड


दाङ (तुलसीपुर), श्रावण २७ . 

इलाका प्रशासन कार्यालय लमहीके नायव सुब्बाके वायह कार्यालयके कार्यालय प्रमुख प्रदीप श्रेष्ठक कार्यकक्षमे राहदानी बनबैत काल घुस मँगलापर एक सेवाग्राही गाल मे थप्पड मारलक अछि ।

दाङके सिसहनिया ६ के थम्मन केसीके राहदानी बनाबय सिफारीस देबयके क्रममे. ५०० रुपैया  घुस देलगेल छल । ओहि ठामक खिमबहादुर केसी कार्यालयके प्रमुख श्रेष्ठक आगु प्रशासनके सुब्बा रामधनी शाहके गाल मे थप्पड मारने कार्यालय स्रोत जनौलक अछि ।

शाह राहदानी सिफारीसके लेल कागजपत्र  नहि पुगल कहैत ५०० रुपैया देब त काज क देब कहलाबाद ५०० रुपैया दकऽ  काज करौने थम्मन बतौलनि अछि ।

आगामी दिनमे एहन गल्ती कार्यालयसँ नहि हाएत वचनबद्धता प्रकट करैत कार्यालय प्रमुख श्रेष्ठ नासु शाहके विभागीय कारबाही कएल जाएत बतौलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन