Friday, August 12, 2011

सात बुँदे सहमति खारेज करु: भट्टराई


काठमाडौ, श्रावण २७ । माओवादी उपाध्यक्ष बाबुराम भट्टराई अपन पार्टीक अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल आ एमाले अध्यक्ष झलनाथ खनालबीच भेल सात सुत्रिय सहमति खारेज होबय चाही बतौलनि अछि ।

 दाहाल आ खनालबीच खनालके प्रधानमन्त्रीमे सहयोग करय आगु फेराफेरी सरकारक नेतृत्व करय सहितक सात सुत्रिय सहमति भेल छल । ओहिके आधारमे माओवादी खनालके प्रधानमन्त्रीमे सहयोग केने छल ।

हमसब संविधानसभाके म्याद थप करयके सम्बन्धमे दोसर पाँच सुत्रिय सहमित केलौऽ  ओ आइ पाँच सुत्रिय सहमति अनुगमन पत्रकार समिति आयोजना केने कार्यक्रममे कहलनि, २ टा समानान्तर सहमतिसँ दिक्कत भेलासँ सात सुत्रिय खारेज करय परत ।

 भट्टराईके माओवादी भावी सहमतीय सरकारके लेल प्रधानमन्त्रीके उम्मेदवार घोषणा करयके निर्णय क चुकल अछि ।

भट्टराई एकदु दिन भितरे शान्ति प्रकृयाके बिस्तृत खाका आबयके दावी सेहो केलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन