Friday, August 12, 2011

पीडितद्वारा अस्पताल समक्ष छ बुँदे माग पेश


२७ साउन, चितवन । चिकित्सक गर्दनके शल्यक्रिया करयके ठाममे बच्चादानी निकालि कऽ  फेक देलाबाद आक्रोशित भेल छमकुमारी बोहोराके परिवारजन बीपी कोइराला मेमोरियल क्यान्सर अस्पताल प्रशासन समक्ष विभिन्न ६ सुत्रिय मागपत्र बुझौलक अछि ।

पीडितके दिससँ संघर्ष समितिक संयोजक तथा बोहोराके सानोबाबु तमबहादुर गुरुङ अस्पतालक निमित्त कार्यकारी निर्देशक डा.भोला रौनियारके ओ मागपत्र बुझौलनि अछि । रुपन्देही शंकरनगर स्थायी ठेगाना रहल बोहोराके डा.जितेन्द्र परियार नेतृत्वक चिकित्सक टोली घेउँटके थाइराइड क्यान्सरके अप्रेशन करयके ठाममे लापरवाहीपूर्वक काल्हि बच्चादानी निकालि देने छल ।

पीडित परिवार घटनामे चिकित्सकके चरम लापर्वाही देखलगेल कहैत बोहोराके सम्पूर्ण इलाज निशुल्क करयकेऽ अप्रेशनमे संलग्न चिकित्सक टोलीके कडा कारबाही करयके, हुनका जीवनभरिके लेल आर्थिक सहयोग उपलब्ध कराबयके सहितक विषय मागपत्रमे रहल अछि ।

अहिबीच आक्रोशित परिवारजन अस्पताल परिसरमे पैघ संख्यामे जम्मा भेल अछि । क्यान्सर सेवा समाजक संयोजक श्यामप्रसाद लामिछाने अस्पताल प्रशासन,पीडित पक्ष, स्थानीय प्रशासन आ नागरिक समाजक प्रतिनिधिसमेतके रोहबरमे बिमर्श क समस्या समाधानक प्रयास भऽरहल जानकारी देलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन