Friday, August 12, 2011

दु टा बेटीके जिबिते नदीमे फेक कऽ हत्या


पर्वत , श्रावण २७ ।  पर्वतके पीपलटारी गाविससँ साउन १५ गत्ते अपरहणमे परल कहलगेल दु बालिकाके हत्या अपने बाबु केने पुष्टि भेल अछि ।

अपहरणमे परल कहलगेल कृष्ण तिवारीके बेटीसब ८ बर्षक नमुना आ ६ बर्षक नबिनाके तिवारी अपने हत्या केने पुष्टि भेल अछि । पुलिस आइ पत्रकार सम्मेलन कऽ बाबुए दुनु बेटीके हत्या केने जानकारी देलक अछि ।

घरके आर्थिक समस्याके कारणसँ तिवारी राति सवा १० बजे नजदिकेके मोदि नदीके पुलमे ल जा कऽ दुनु बेटीके जिबिते नदिमे फेक देने पुलिस समक्ष बयान देलक अछि ।
 

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन