Tuesday, August 23, 2011

कोइरला आ नेपाल सहमतीय सरकारके पक्षमे

काठमाडौ, भादव ६ । नेपाली काँग्रेसक सभापति सुशील कोइराला आ एमाले नेता माधवकुमार नेपालबीच पछिल्का राजनीतिक परिस्थितिबारे आइ बिमर्श भेल अछि ।

कोइराला निवास महाराजगन्जमे भेल ओ बिमर्शमे राष्ट्रिय सहमतिके सरकार गठनक लेल अपन अपन तर्फसँ जतेक होबय सकेय सहयोग करयके प्रतिवद्धता व्यक्त केलनि अछि ।

ओ अवसरमे सभापति कोइराला नेपाली काँग्रेसक दिससँ प्रधानमन्त्रीके लेल आगु घुसकौने वरिष्ठ नेता शेरबहादुर देउवाके पक्षमे सहमति जुटाकय सहयोगके लेल आग्रह केने छलथि ।

बिमर्शमे नेता नेपाल विभिन्न राजनीतिक दलसँग वार्ता कऽ शान्ति आ संविधानक लेल राष्ट्रिय सहमति कायम करय पार्टीके दिससँ जोड दऽरहल बतबैत राष्ट्रिय सहमतिके सरकारक विकल्प नहि भेलासँ बहुमतीय प्रणालीमे जाए नहि चाहीमे जोड देने छलथि ।

सहमतिके सरकार गठनक लेल राष्ट्रपति थप केने तीन दिना म्याद काल्हि साँझ ५ बजेधरि रहल अछि । दलसब सहमतिके सरकार निर्माणक लेल दु पक्षीय आ त्रिपक्षीय वार्ताके निरन्तरता दऽरहल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन