Tuesday, August 23, 2011

त्रिपोली में नज़र आएल सैफ़ अल-इस्लाम


लिबिया, भादव ६ । लीबियामें कर्नल मुअम्मर ग़द्दाफ़ीके एकटा बेटा सैफ़ अल-इस्लामके नियन्त्रणमें होबयके बात गलत साबित भेल अछि आ सैफके त्रिपोलीमें देखल गेल अछि ।

सैफ़ अल-इस्लामके दाबा अछि जे सरकारके सामने बिद्रोही कमजोर परि गेल अछि । विद्रोही त्रिपोलीमें पहुँचलाबाद इ दाबा केने छल जे ओ ग़द्दाफ़ीके दुनु बेटाके अपन नियन्त्रणमे लेने अछि ।

मुदा सैफ़ अल-इस्लाम ग़द्दाफ़ी समर्थकके नियन्त्रणबला एकटा होटल रिक्सोस लग आइ एकटा सरकारी गाड़ीमें देखल गेल अछि ।

अहिसँ पहिने काल्हि विद्रोहीके ग़द्दाफ़ी समर्थक सेनासँ बहुत लडय परल छल । दुनु पक्ष राजधानी त्रिपोली पऽ क़ब्ज़ा केने दावा कऽरहल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन