Tuesday, August 23, 2011

संविधानसभा विघटनके माँग करैत आमहडतालके घोषणा

६ भादव, काठमाडौं । लक्ष्मण थारु नेतृत्वक नवगठित थरुहट तराई पार्टी नेपाल संविधानसभाके विघटन कऽ नयाँ निर्वाचन कराबयके माँग करैत थरुहट आ तराईमे दु दिना आमहडतालक घोषणा केने अछि ।

आइ राजधानीमे पत्रकार सम्मेलन कऽ थरुहट तराई पार्टी भादव १५ आ १६ गते दु दिन आमहडतालक घोषणा केने अछि । आमहडतालके पूर्वसंध्यामे १४ गते साँझ मसाल जुलुस प्रर्दशन करयके कार्यक्रम रहल अछि ।

थरुहट तराई पार्टी नेपाल संविधानसभा खारेज कऽक ताजा जनादेशके लेल चुनाव कराबयके, राज्यके सब संयन्त्रमे जातीय जनसंख्याके आधारमे पूर्ण समानुपातिक प्रतिनिधित्व सुनिश्चित करयके, लुम्बिनीमे विदेशी चलखेल अन्त्य करयके, चितवन आ नवलपुर खण्डके थरुहट स्वायत्त प्रदेशमे समावेश करयके, थरुहट आन्दोलनके क्रममे लगाओलगेल मुद्दासब खारेज करय सहितक माँगसब रखने अछि ।

पत्रकार सम्मेलनमे थरुहटक अध्यक्ष लक्ष्मण थारु संविधानसभाके भङ्ग कऽक नयाँ निर्वाचनमे जाए नागरिक समाज सहितक सर्वदलीय चुनावी सरकार निर्माण करयके माँग कएलनि ।

ओना नहि कऽ संविधानसभाके म्याद थपल जाएत तऽ आन्दोलनके आँधि तुफान आनयके ओ चेतावनी देलनि । थरुहट तराई पार्टी नेपालके आन्दोलनके तामसालिङ स्वायत्त राज्य परिषद सेहो समर्थन केलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन