Saturday, August 13, 2011

भादवके पहिल सप्ताह शान्ति प्रक्रिया आगु बढतः दाहाल


काठमाडौं, श्रावण २८ । माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल भादवके पहिल सप्ताहसँ शान्ति प्रक्रिया आगु बढत दाबी कएलनि अछि ।

 धनकुटा-काठमाडौं गणतान्त्रिक मञ्च आइ राजधानीमे आयोजना केने एक कार्यक्रममे दाहाल सहमतिएसँ शान्ति आ संविधान निष्कर्षमे पहुँचत बतौलनि । 'देश आब पाँच बुँदे सहमतिके रास्तासँ आगु बढत' ओ कहलनि जे, 'सहमतिमे भादवके पहिल सप्ताह शान्ति प्रक्रिया आगु सेहो बढत आ संविधानक पहिल मस्यौदा तयार हाएत ।'

 दाहाल भादवके पहिल सप्ताहधरिमे माओवादी लडाकुसबहक बर्गीकरण प्रक्रिया सुरु करयके जानकारी देलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन