Saturday, August 13, 2011

सरकार आ मुक्ति मोर्चाबीच वार्ता जारी


२८ साउन, हेटौंडा । सरकार आ तराईमे सशस्त्र गतिविधि करैत आएल संयुक्त जनतान्त्रिक तराई मुक्ति मोर्चा पवन गिरी समूहबीच वार्ता भऽरहल अछि ।

हेटौंडास्थित क्षेत्रिय स्वास्थ्य निर्देशनालयमे जारी वार्तामे शान्तिमन्त्री पम्फा भुषाल मोर्चाके संयोजक गिरी सहितक नेतासबहक सहभागिता अछि । वार्तामे मोर्चा रखैत आएल माँगबारे सहमतिके प्रयास हाएत ।

ओ पुलिस हिरासतमे रहल अपन नेता कार्यकर्ताके रिहा करयके, तराईके अन्य समूहसबसँग सेहो वार्ता करयके सहितक माँग रखने अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन