Saturday, August 13, 2011

विकल्प तयार नहि होबयधरि राजीनामा नहि देब खनालक संकेत


२८ साउन, काठमाडौं । प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल राष्ट्रिय सहमतिके विकल्प तयार नहि होबयधरि राजीनामा नहि देबयके संकेत केएलनि अछि ।

प्रमुख तीन दलक शीर्ष नेतासबहक आइ भिन्सर बैसल बैसारमे खनाल दलसबबीच राष्ट्रिय सहमतिके विकल्प तयार नहि हाएत त राजीनामा नहि देब मनसाय रखने बताओलगेल अछि ।
एखुनक अवस्थामे अपने राजीनामा देब तऽ आगामी भादव १४ गतेधरिमे सहमतिके सरकार नहि बनत आ ओहन अवस्थामे कामचलाउ सरकार संविधानसभाके म्याद थपाएत तऽ बैधानिकताके प्रश्न उठ्त हुनक तर्क छलनि ।

अहिसँ आगु प्रधानमन्त्री खनाल आइधरिमे शान्ति प्रक्रियाके मूलभूत काम सम्पन्न करय जका विश्वासके वातावरण नहि होबयधरि राजीनामा देबयके घोषणा कएने छलथि ।

बैसारमे माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड शान्ति प्रक्रियाबारे केन्द्रीय समिति केने निर्णय जानकारी करबैत नयाँ कोनो प्रस्ताव नहि आबयके जानकारी करौने छलथि ।

तीन दलक बैसारमे कांग्रेस प्रधानमन्त्री पाँचबुँदे कार्यान्वयन करय आलटाल केने आ अपन घोषणाके बाद हटल कहैत आपत्ति जनौलक अछि । अहिना कांग्रेस बैसारमे संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेसी मोर्चा आ छोट दलसबहक गठवन्धनके समेत सहभागी कराबयके अडान रखलाबाद कोनो सहमति होबय नहि सकल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन