Saturday, August 13, 2011

पत्रकारके जान मारयके धम्की देलासँ आपत्ति


२८ साउन, विराटनगर । एमाले निकट युवासंघ मोरङ अध्यक्ष रविन थापा अपनासबके विरुद्ध लागयबला सब पत्रकारके खिलानाथ ढकालके जेहन आक्रमण ककऽ घाइ बना देबयके धम्की देने कहैत पत्रकार सम्वद्ध विभिन्न संघसंस्था आपत्ति जनौलक अछि

एमाले निकट युवासंघ मोरङके अध्यक्ष रविन थापा अपनासब विरुद्ध लागयबला सब पत्रकारके खिलानाथ ढकालके जेहन आक्रमण ककऽ घाइ बनादेबयके धम्की देने कहैत पत्रकार सम्वद्ध विभिन्न संघसंस्था आपत्ति जनौलक अछि । ढकाल आक्रमणक दोषीके कानुनी कारबाहीक माकरैत आन्दोलन जारी रखने कहैत थापा २६ साउनम सार्वजनिक स्थल धम्की देने ओ सब बतौलनि अछि

धम्कीप्रति नेपाल पत्रकार महासङ्घ पूर्वाञ्चल संयोजक मोहनकाजी न्यौपाने, मोरङ अध्यक्ष विक्रम निरौला, क्रान्तिकारी पत्रकार सङ्घक जिल्ला संयोजक गणेश लम्साल, प्रेस युनियन सभापति कुमुद अधिकारी प्रेस चौतारीक माधव अधिकारी संयुक्त विज्ञप्ति निकालि कऽ आपत्ति जनौने छथि । अध्यक्ष थापा पत्रकारके जान मारयके धम्की देने सन्दर्भम मोरङम कार्यरत पत्रकार उपर कोनो खतरा आएत त ओकर जिम्मेवारी युवासङ्घकेेबय परत विज्ञप्तिम स्पष्ट कएलगेल अछि

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन