Saturday, September 17, 2011

संस्थानमे खुल्ला प्रतिस्पर्धासँ पदाधिकारी नियुक्त करय लेखाके निर्देशन


३१ भादव, काठमाडौँ । व्यवस्थापिका संसदअन्तर्गके सार्वजनिक लेखा समिति सरकार मातहतके सार्वजनिक संस्थानसबमे कएल जाएबला राजनीतिक नियुक्ति तत्काल रोकय सरकारके निर्देशन देलक अछि ।

समिति मापदण्ड तय कऽ खुल्ला प्रतिस्पर्धाके आधारमे संस्थानसबके कार्यकारी प्रमुख सहितक पदाधिकारी नियुक्ति करय कहलक अछि । सिंहदरबारस्थित समितिके कार्यालयमे आइ बैसल बैसारसँ मन्त्रिपरिषद् कार्यालयके साथे अर्थ आ उद्योग मन्त्रालयके एहन निर्देशन देने सभापति रामकृष्ण यादव जानकारी देलनि अछि ।
बैसारसँ व्यवस्थापकीय कमजोरीके कारण दूरावस्थामे पहुँचल संस्थानसबके प्रगति विवरण प्रत्येक १५ दिनमे समितिमे बुझाबय सेहो सम्बद्ध पक्षके निर्देर्शन देल गेल अछि । यादवक अनुसार बैसारमे उपश्थित अर्थमन्त्री वर्षमान पुन समितिके निर्देशन सहि भेलासँ ओइके सरकार अक्षरसः पालना करयके प्रतिबद्धता जनौलनि ।

बैसारमे समिति अर्थमन्त्री पुन आ सचिव कृष्णहरि बाँस्कोटा तथा उद्योगमन्त्री महेन्द्र यादव आ सचिव एसपी कोइरालाके पुछताछक लेल बजाओलगेल छल । सभापति यादव सार्वजनिक संस्थानसबमे राजनीतिक आधारमे पदाधिकारी नियुक्त केला सँ भ्रष्टाचार आ अनयिमिताके घटना बढयके साथे सेवाग्राहीसँ निक सेवा नहि पौअने शिकायत अएलासँ नियुक्तिमे पारदर्शीता अपनाबय निर्देशन देलगेल बतौलनि ।


No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन