Saturday, September 17, 2011

राष्ट्रपतिद्वारा प्रधानमन्त्री भट्टराईके प्रसंशा


३१ भादव, काठमाडौँ । राष्ट्रपति डा. रावरण यादव प्रधानमन्त्री डा.बाबुराम भट्टराईके प्रसंशा कएलनि अछि ।

शीतल निवासस्थित राष्ट्रपति भवनमे आइ भिन्सर भेल भेटवार्तामे राष्ट्रपति यादव प्रशासनिक संयन्त्रके सही परिचालन आ जनताके लेल लोकप्रिय कार्यक्रम लौनेमे प्रधानमन्त्री भट्टराईके प्रशंसा कएलनि अछि ।  राष्ट्रपति भटराइसँ कहलनि जे आँहा  रोल मोडलके रुपमे काम केने छी’, आँहाक लोकप्रिय कामसबसँ हम  मात्रे नहि कि पुरा देशक जनता खुसी अछि ।राष्ट्रपति प्रधानमन्त्री भट्टराईसँ अपने बहुत आशा केने सेहो बतौलनि ।

भेटमे राष्ट्रपति अपने देशके अभिभावक आ प्रधानमन्त्री भट्टराई कार्यकारी प्रमुख भेलासँ अपन अपन पार्टीगत पृष्ठभूमीसँ उपर उठि कऽ जनअपेक्षा अनुरुप राष्ट्रहितमे समर्पित होबयमे जोड देने बताओल गेल अछि ।

करिब एक घण्टाधरि भेल भेटमे प्रधानमन्त्री देशके पछिला राजनीतिक अवस्था, शान्तिप्रक्रिया आ संविधान निर्माणमे भऽ रहल प्रगति, सरकार घोषणा केने राहत प्याकेज आ कामकारबाही तथा अपन आसन्न अमेरिका भ्रमणबारे राष्ट्रपतिके जानकारी करौने प्रधानमन्त्रीक प्रेस सल्लाहकार राम रिझन यादव जानकारी देलनि ।

संयुक्त राष्ट्रसंघक ६६ हम् महासभामे भाग लेबय भट्टराई परसु २ गते १३ सदस्यीय नेपाली टोलीके नेतृत्व करैत न्यूयोर्क जाऽरहल छथि । बितल ११ भादवमे व्यवस्थापिका संसदसँ प्रधानमन्त्री निर्वाचित भेलाबाद भट्टराई राष्ट्रपतिसँग अलगे भेट कएने इ पहिल बेर अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन