Saturday, September 17, 2011

गृहके भ्रष्टाचार आ हस्तक्षेप मुक्त बनाएबः गच्छदार


विराटनगर, भादव ३१ ।  उपप्रधान तथा गृहमन्त्री विजयकुमार गच्छदार सब सुरक्षा निकाय आ गृहमन्त्रालयके भ्रष्टाचार  एवं राजनीतिक हस्तक्षेप मुक्त बनाबयके दाबी केलनि अछि ।

विराटनगरमे आइ सञ्चारकर्मीसबसँग बातचित करैत मन्त्री गच्छदार गृहसचिवके सरुवामे प्रधानमन्त्री आ आरो गठबन्धन दलसबसँग कोनो बिवाद नहि रहल बतौलनि । एक महिनाधरि सचिवके सरुवा नहि करयके प्रधानमन्त्रीके प्रतिबद्धता होइतो गृह मन्त्रालयके संवेदनशीलताके देख कऽ गृहसचिवके सरुवा केने कहैत गच्छदार अपने राजनीतिक हस्तक्षेप नहि करब आ भ्रष्टाचारके कहियो बढावा नहि देबयके दावी समेत केलनि ।

गृहमन्त्रालय आ मातहतके निकायमे भ्रष्टाचारके समाप्त करयके आ राजनीतिक हस्तक्षेपसँ सब क्षेत्रके मुक्त बनाबयके गच्छदारक कहब छलनि । वरिष्ठ प्रहरी उपरीक्षक आ प्रहरी निरीक्षकके अढाई वर्षसँ सरुवा नहि भेल कहैत मन्त्री गच्छदार जल्दिए सरुवाके मापदण्ड बनाएब मुदा सरुवामे अपने हस्तक्षेप नहि करयके दाबी केलनि ।

राजनीतिक आस्थाके आधारमे आ रकम लेनदेनके आधारमे पुलिसके उच्च अधिकारीसबहक सरुवा बढुवा होबयके चर्चा चलि रहल समयमे मन्त्री गच्छदार गृहमन्त्रालय मातहतमे भ्रष्टाचार भेल आ तस्करी भऽरहल जानकारी भेटत तऽ सार्वजनिक करय चुनौती देलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन