Sunday, November 20, 2011

अल्ट्रा म्याराथुन दौड सुरु


गोकुल बानियाँ, सुनौलो एफएम,पोखरा

४ अगहन पोखरा । नेपालेमे पहिल बेर २ सय ५० किलोमिटर दुरीके अल्ट्रा म्याराथुन दौड पोखरामे सुरु भेल अछि ।

कास्कीके मर्दीसँ आइ भिन्सर ७ बजे सुरु भेल दौड कास्की, पर्बत आ म्याग्दीके बिभिन्न पर्यटकीय क्षेत्र होइत अगहन १० गते पोखरामे आबि कऽ सम्पन्न हाएत । दौडमे ४२ राष्ट्रके ६० महिला सहित २ सय २० धाबक सहभागी अछि ।

प्रतियोगिसबके आइ पहिल दिन कास्कीके मर्दीसँ धम्पुस, पोतना , चन्द्रकोट होइत पर्बतके नयापुल धरिके दुरी देलगेल अछि । प्रतियोगिताके दोसर दिन नयापुलसँ जैसीथोक, दुर्लुङ होइत पर्बतके कालिगण्डकी कातके खनियाघाट धरि, तेसर दिन तातोपानी होइत म्याग्दीके घाराधरि, चारिम दिन घोरेपानीसँ बिरेठाटी ,पाँचम दिन कास्कीके भदौरे होइत, पुम्दीसँ बेगनास ताल आ छठम दिन पोखराके फलवारी होटलमे आबि कऽ पुरा हाएत आयोजक बतौलक अछि ।

नेपालके साहसिक खेलकुद पर्यटनके रुपमे स्थापित करयके उद्देश्यसँ रेसिङ द प्लानेट ईन्टरनेशनल नामक संस्था प्रतियोगिताके आयोजना केने अछि । दौडमे १० गोटे अन्तर्राष्ट्रिय स्तरके चिकित्सकसंगै उद्धारक लेल हेल्पलाईन आ फिस्टेल एयरके हेलिकप्टर स्ट्याण्डवाई रखने रेसिङ द प्लानेट ईन्टरनेशनलके प्रमुख सुमन पाण्डे जानकारी देलनि । प्रतियोगिता सहभागिसबके सहयोगीके रुपमे ४५ गोटे स्वयंसेवक सेहो खटाओलगेल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन