Sunday, November 20, 2011

कब्जा घरजमिन फिर्ता कराबय प्रचण्ड आ सिटौला बर्दिया जाए लागल


४ अगहन, काठमाडौं । दलसबबीच भेल सहमति अनुसार द्वन्द्वकालमे कब्जा घरजमिन फिर्ता आइसँ सुरु होबय जाऽ रहल अछि ।

घरजमिन फिर्ताके सुरुवात करय माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दहाल प्रचण्ड आ कांग्रेस महामन्त्री कृष्णप्रसाद सिटौला आइ बर्दिया जाऽ रहल छथि । १० वर्षे सशस्त्र द्वन्द्वकालमे बर्दियामे सबसँ बेसी घरजमिन कब्जा भेल छल ।

माओवादी कार्यालय सचिव शक्ति बस्नेतक अनुसार माओवादी पार्टीके नियन्त्रणमे रहल घरजमिन फिर्ता कएल जाएत तऽ किसानसबहक नियन्त्रणमे रहल विषयमे दलसबसँग परामर्श कऽ आवश्यक निर्णय लेल जाएत । प्रमुख दलसबबीच बितल कार्तिक १५ गते भेल सातबुँदे सहमतिमे अगहन ७ गतेभितर द्वन्द्वकालमे कब्जा घरजमिन फिर्ता करयके उल्लेख अछि ।

सहमति कार्यान्वयन करय माओवादी आन्तरिक शर्कुलर जारी कऽ चुकल अछि तऽ गृह प्रशासन समेत कब्जा घरजमिन फिर्ता कराबय आवश्यक तयारी कऽ रहल अछि । मुदा, माओवादीक मोहन बैद्य पक्ष  बैकल्विक व्यवस्था नहि होबयधरि कोनो  हालतमे कब्जा घरजमिन फिर्ता नहि करयके अडान लेने अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन