Sunday, November 20, 2011

प्रमुख तीन दलक शीर्ष नेताक बैसार निष्कर्षहीन


४ अगहन, काठमाडौँ । राज्य पुनर्संरचना आयोग गठनक विषयमे बिमर्श करय आइ भिन्सर बैसल प्रमुख तीन दलक शीर्ष नेताक बैसार आयोग नेतृत्वमे सबके दाबी रहलाबाद बिना निष्कर्ष सम्पन्न भेल अछि ।

सिंहदरबार स्थित शान्ति मन्त्रालयमे बैसल बैसारमे माओवादी, कांग्रेस आ एमाले आयोगक नेतृत्व अपना अपना पाबयके दाबी केलक अछि । बैसारमे राज्यपुनर्सरचना आयोगमे रहयबला सदस्य आ क्षेत्राधिकारबारे बिमर्श भेल नेतासब बतौलक अछि । एमाले अध्यक्ष झलनाथ खनाल दलसब बिच आयोग गठनक विषयमे गम्भीर बिमर्श भेल सञ्चारकर्मीके जानकारी देलनि ।

अध्यक्ष खनाल ७ सदस्यीय आयोग गठन करयके वियषयमे सहमति नजदिक पुगितो नेतृत्व के लेत बिषयमे बिवाद उत्पन्न भेल बतौलनि । खनाल काल्हि भिन्सर मधेसी मोर्चा समेतके सहभागितामे बिमर्श कऽ सहमति कएल जाएत जानकारी देलनि । दलसबबीच बितल शुक्रके राति भेल दु बुँदे सहमतिमे तीन दिन भितर राज्यपुर्नसंरचना आयोग गठन करयके उल्लेख अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन