Sunday, November 20, 2011

प्रणव मुखर्जी अगिला सप्ताह नेपाल औताह


४ अगहन, काठमाण्डौ । नेपाल आ भारतवीच दोहोरा कर अन्त्य करयके सम्झौतामे हस्ताक्षर करय भारतीय अर्थमन्त्री प्रणव मुखर्जी अगहन ११ गते नेपाल आबय लागल छथि ।

सरकारी स्रोतक अनुसार भिन्सर काठमाण्डौं आबि कऽ वायह साँझमे दिल्ली घुरय आगु अपन समकक्षी बर्षमान पुनसँग सम्झौतामे हस्ताक्षर करताह । एक महिना आगु प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराईके भारत भ्रमणके समय  हस्ताक्षर करयके तालिका रहितो भारतीय पक्षक आग्रहके कारण ओ सम्झौता होबय नहि सकल छल ।

पशुपतिनाथके दर्शन करय अपने काठमाण्डौं आबय चाहने आ ओहिके लेल दोहोरा कर अन्त्य करयके बहाना चाहि कहैत मुखर्जीके आग्रहमे ओ समय हस्ताक्षर रोकलगेल सरकारी स्रोतक दावी अछि ।

नेपाल भ्रमणके समय हुनका राष्ट्रपति रामबरण यादव, प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई सहितक नेतासबसँग सेहो भेटवार्ता करयके कार्यक्रम रहल अछि । किछूए घण्टा काठमाण्डौ रहल समय ओ पशुपतिनाथके दर्शन सेहो करताह बताओलगेल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन