Saturday, November 12, 2011

तुर्कीमें यात्रुबाहक नाव छुड़ाओल गेल, अपहरणकर्ताके मारल गेल


कातिक २६ तुर्की तुर्कीमे एकटा यात्रुबाहक नावके अपहरण केने अपहरणकारीके कब्जासँ सुरक्षाकर्मी अपहरणमुक्त कराबय सफल भेल अछि ।

तुर्कीके सरकारी टीवी चैनलके अनुसार ओइ नावपर २० सँ बेसी गोटे सवार छल । तुर्कीमे ओ नावपर  कमांडो कार्रवाई केलाबाद ओ यात्रुसबके बचाबय सफल भेल आ अपहरणकारीसबके मारयमे सफल भेल तुर्कीके समाचार माध्ययमसब जनौलक अछि । कमाण्डो कारवाहीमे सम्पुर्ण अपहरणकारीके मृत्यु भेल अछि ।

अहिसँ पहिनेही  नावके कप्तान  तुर्की टीवी क बतौने छल जे ओकर नावके कुर्द विद्रोहीसब पहरण कऽ लेने अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन