Saturday, December 10, 2011

महोत्तरीसँ २ गोटेके अपहरण


सन्तोष पोखरेल
२४ अगहन महोत्तरी । जनतान्त्रिक तराई मधेश मुक्ति मोर्चाक कार्यकर्ता महोत्तरीके सुनौल गाविसके ४० वर्षक शिवशरण मण्डलके  अपहरण केलक अछि ।

बितल साँझ खेतसँ अपन घर घुरि रहल मण्डलके ४५ गोटेके समूहमे रहल ब्यक्ति अपहरण केने स्थानीयवासी वतौलक अछि । अपनाके जनतान्त्रिक तराई मधेश मुक्ति मोर्चाके वारुद त्यागी समूहक कार्यकर्ता रहल वतबैत मण्डलके अपहरण केने स्थानीय सञ्चारकर्मीके जानकारी देलक अछि ।

अहिबीच महोत्तरीके बर्दिवास ५ के २० वर्षक दीपक महतो सेहो अपहरणमे परल छथि । बितल बृहस्पतिदिनसँ सम्पर्कविहिन भेल महतोके परिवारके अज्ञात व्यक्ति घरमे फोन कऽ फिरौती मँगने पारिवारजन बतौलक अछि । अपहरणमे परल मण्डलके सकुशल रिहाइके लेल पहल कऽ देब महतोके परिवारजन सरोकारवाला निकायसबसँ आग्रह केलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन