Saturday, December 10, 2011

'लडाकुके रकम अनियमितताबारे छानबिन हाएत


गुल्मी, अगहन २४ । अर्थमन्त्री वर्षमान पुन लडाकुके रकम अनियमितताबारे पार्टी छानबिन करत बतौलनि अछि ।

'पैघ पार्टी भेल नातासँ सेहो पार्टीके दिससँ ओइके छानबिन हाएत,' क्रान्तिकारी पत्रकार संघ आइ भिन्सर आयोजना केने पत्रकार सम्मेलनमे ओ कहलनि ।

माओवादी स्थायी समिति सदस्य समेत रहल पुन पार्टी अनियमितताबारे छानबिन करब बतबितो  अर्थमन्त्रालय छानबिन करत या नहि बिषयमे नहि बतौलनि । ओ नक्कली लडाकुसबहक नाममे अरबौ रुपैया अनियमितता भेल कहनाइ पैघ पार्टीसबहक धर्म भेल टिप्पणी कएलनि ।

नक्कली लडाकुसबहक नाममे माओवादी संस्थागत भ्रष्टाचार केने कहने आरोप राजनीतिमे टिकय लेल पैघ पार्टीक शीर्ष नेतासब केने चर्चा रहल टिप्पणी कएलनि ।

अर्थमन्त्री पुन देशके अर्थतन्त्र सुधारोन्मुख भेल बतौलनि । तम्घासमे आइसँ सुरु भेल नेपाल मगर संघक दशम राष्ट्रिय महाधिवेशन उदघाटनके लेल आएल मन्त्री पुन राजश्व असुली बढल, बैंकिङ्ग तरलता कम भेल, विदेशी मुद्राके संचिती उल्लेख बढल कहैत ओइसँ अर्थतन्त्रमे आरो सुधार लाएब बतौलनि ।

पुन विदेशी मुद्रा संचिती बितल वर्ष २ सय ७५ अर्व रहलमे ओ अहि बेर बढि कऽ ३ सय २० अर्वमे पहुँचल  जानकारी देलनि ।


No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन