Saturday, December 10, 2011

'पैघ दलमे सत्ताके लेल मारा मार'


काभ्रे, अगहन २४ । मधेशी जनअधिकार फोरम(गणतान्त्रिक)के अध्यक्ष एंव सूचना तथा सञ्चार मन्त्री जयप्रकाश गुप्ता पैघ दलसब सत्ता लिप्त भेल आरोप लगबैत ओ दलसबमे सत्ताके लेल मारामार सुरु भऽ चुकल बतौलनि अछि ।

सत्ताके मारामारसँ तोकल अवधि भितर जारी शान्ति प्रक्रिया पुरा नहि हाएत आ संविधान जारी होबय नहि सकत हुनक दाबी छलनि ।

धुलिखेलमे आइसँ सुरु भेल दु दिना पार्टीके केन्द्रीय प्रशिक्षण शिविरके उद्घाटन करैत गुप्ता बाहर देखयमे आएल जका सहज रुपमे शान्ति प्रक्रिया आगु नहि बढल बतौलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन