Saturday, December 10, 2011

नेपाल ओमान सं दु रनसँ पराजित


२४ अगहन, काठमाण्डौ । राजधानीमे जारी एसीसी ट्वान्टी ट्वान्टी कप क्रिकेटके तेसर स्थानके लेल आइ भेल खेलमे सेहो नेपाल ओमानसंग दु रनसँ पराजित भेल अछि ।

ओमान देने १ सय २ रनक विजयी लक्ष्यके साथ मैदानमे उतरल नेपाल पुरे ओभर खेलैत ९ विकेटक क्षतिमे ९९ रन मात्रे बनाबय सकलाबाद ओमान दु रनसँ विजयी होइत तेसर स्थान हासिल करय सफल भेल अछि ।

किर्तीपुरस्थित त्रिवि क्रिकेट मैदानमे पहिने टस जित कऽ व्याटिङ केने ओमान निर्धारित १५ ओभरके खेलमे पुरा ओभर खेलैत ८ विकेटक क्षेतिमे १ सय १ रन वनौने छल । धुँनि लगलाक कारण निर्धारित २० ओभरके खेलके १५ ओभरके बनाओलगेल छल ।

नेपालका लेल महवुब आलम सर्वाधिक ४ विकेट लेलनि । हारसंगै नेपाल सन् २००९ मे हारने वदला लेबयसँ  चुकल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन