Saturday, December 10, 2011

बबनसिंह विरुद्ध मुद्दा दायर, सभासदसँ स्वतः निलम्बित


२४ अगहन, काठमाण्डौ । वीरगञ्जके व्यवसायी राजेशमान सिंहक अपहरण आ हत्याक प्रयास केने अभियोगमे पुलिस सभासद बबनसिंह विरुद्ध मुद्दा दायर केलक अछि । सरकारी वकिलक कार्यालय बबनके प्रमुख अभियुक्त बना कऽ जिल्ला अदालत काठमाण्डौमे मुद्दा दर्ता केने अछि ।

महानगरिय प्रहरी परिसर काठमाण्डौ हुनका वारेमे अनुसन्धान कऽ वुधदिन जिल्ला सरकारी बकिलक कार्यालयमा फाइल पेस केने छल । मुद्दा दर्ता बाद बबन सभासद् पदसँ स्वतः निलम्बित भेल छथि । वायह मुद्दामे पुलिस हुनकर सहयोगी भारतिय नागरिक लालबाबु शास्त्री आ रवि पाण्डेके गिरफ्तार कऽ चुकल अछि । हुनकेसबहक बयानक आधारमे पुलिस बबनबे प्रमुख अभियुक्त वनौने अछि । वीरगञ्जक पूर्व वडाध्यक्ष सिंह बबनके नाममे किटानी जाहेरी देने छल ।

पुलिसक अनुसार सिंहक हत्याक लेल बबन आपराधिक पृष्ठभूमि रहल सुटर प्रवीण तिवारीके सुपारी देने छल । योजना अनुसार वीरगन्ज स्थित सिंहके घर नजदिक भाडामे कोठली लऽ क रहयके व्यवस्था मिलाओलगेल छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन