Sunday, December 11, 2011

पैघ सञ्चारगृह श्रमजीवी ऐन लागू नहि केलकः गुप्ता


२५ अगहन, धुलिखुल । सूचना तथा संञ्चारमन्त्री जयप्रकाशप्रसाद गुप्ता पैघ सञ्चारगहृके कारण श्रमजीवी पत्रकार ऐन लागू करय कठिनाई भऽ रहल बतौलनि अछि ।

काभ्रेके धुलिखेलमे आइ सञ्चारकर्मीसँग बातचित करैत मन्त्री गुप्ता पैघ मिडिया ऐन कार्यान्वनयन करय आनाकानी कऽ रहल बतौलनि । ऐन कार्यन्वयनमे अटेरी कऽ रहल सञ्चारगृहके सञ्चलकसँग बिमर्श कऽ समस्या समाधानमे मन्त्रायलय प्रयासरत रहल हुनक कहब छलनि ।  मन्त्री गुप्ता द्वन्द्व पीडित पत्रकारक लेल लक्षित कऽ क सरकार पत्रकार महासंघ सँगके समन्वयमे विशेष कार्यक्रम लावय लागल सेहो जानकारी देलनि ।

एकटा दोसर प्रसंगमे ओ कानुनी त्रुटीके कारण एफएम रेडियोसबहक रोयल्टीके विषयमे विवाद भेल बतौलनि । मन्त्री गुप्ता रेडियोसबहक लेल अखनो समानुपातिक ढंगसँ लोककल्याणकारी विज्ञापन उपलब्ध करावय नहि सकल बतबैत सरकार जल्दिए ओइके सेहो व्यवस्था करत आश्वासन देलनि ।

अहिबीच नेपाल पत्रकार महासंघ काभ्रे शाखा अन्तिम बेर बढाओलगेल ६ महिनाभितर संविधान निर्माणक काम सम्पन्न करयके, नयाँ संविधानमे प्रेस स्वतन्त्रताके ग्यारेन्टी करय सहितक माँग समेटलगेल ज्ञापनपत्र बुझौने अछि । मन्त्री गुप्ता अपने अध्यक्ष रहल फोरम गणतान्त्रिकके शनिदिनसँ जारी केन्द्रीय प्रशिक्षण शिविरमे सहभागी होवय धुलिखेल पहुँचल छथि ।


No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन