Sunday, December 11, 2011

अपहरित बालकके रिहाइके लेल पहल कऽ देबय आग्रह


२५ अगहन, सिरहा । सिरहाके मल्हनिया गम्हारिया गाविस-१ के राम प्रयाग यादव अपन अपहरित नाबालक बेटाके रिहाइके लेल पहल कऽ देबय लेल सम्बद्ध पक्षसबसँग माँग केलक अछि ।

आइ भिन्सर स्थानीय सञ्चारकर्मीसँग भेट कऽ ओ अपन  ५ वर्षक बेटा शिवशंकरके शुक्रके राति अज्ञात समूह अपहरण कऽ लऽ गेल जानकारी दैत रिहाइके लेल पहल कऽ देबय माँग केलक अछि । ओ अपन बेटाके निशर्त रिहाइके लेल पहल कऽ देबय प्रहरी-प्रशासन, राजनीतिक दल, अधिकारवादी आ सञ्चारकर्मीसबसँ आग्रह केलक अछि ।

बेटाके  मुण्डन कार्यक्रमके भोज चलि रहल समय ओकर अहपरण कएल गेल यादव बतौलनि । अपहरणकारी टेलिफोन कऽ फिरौती रकम माँग कऽ रहल  यादव बतौलनि ।


No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन