Sunday, December 11, 2011

आचरण विपरीत काज कएनिहार पुलिस कारबाहीमे


काठमाडौ, अगहन २५ ।  आचरण विरुद्ध काज करयबला हवल्दार सहित सात गोटेके पुलिस कारबाही केलक अछि । चेक जाँचमे भेटल सामान कार्यालयमे नहि बुझा कऽ अपने रखने आरोपमे ओकरासब उपर कारबाही कएल गेल अछि ।

महानगरीय प्रहरी परिसर काठमाडौंके एसपी राजेन्द्र श्रेष्ठक अनुसार कारवाही होबयबलासबमे प्रहरी हवल्दार तुलबहादुर थापा, जवान विशाल खड्का, डोलप्रसाद ओली, राजकुमार, महेश खडका, शालिकराज जोशी आ नरेन्द्र थापा अछि ।

हवल्दार थापाके नसिहत देने परिसर जनौलक अछि । अहिना दु गोट जवानके एक वर्ष पदोन्नति रोक्का आ ४ गोटेके पुलिस सेवासँ निलम्बन कएलगेल अछि ।

महानगरीय प्रहरी बिट शोभा भगवतीमे खटल पुलिस चामती चोकमे चेकजाँच करयके क्रममे सोह्रखुट्टेके समीर श्रेष्ठ आ बालाजुके नीरज श्रेष्ठके गिरफ्तार करैत काल ओकरसबहक सँगसँ बरामद भेल ३९ डलर आ समान कार्यालयमे नहि बुझा कऽ अपने रखने आरोपमे कारबाही केने अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन