Sunday, December 11, 2011

सिरहामे महिलाके अपहरण करबाक प्रयास असफल


सिरहा, अगहन २५ । सिरहाक सारस्वरके एक युवक बनैनीयासँ एक महिलाके अपहरण कऽ क आनि रहल  अबस्थामे पुलिस सिरहाक बेल्हास्थित कमला नदीके कातसँ शनिके राति  मुक्त करौलक अछि ।

सारस्वर नहिरा भऽ बनैनीयामे रहैत आएल १६ बर्षक विनिता देवी मण्डलके सारस्वरके अखतर मियाँ आ बेल्हाके सदरे आलम गाउँघरमे दिसापिसाव करय निकलल समयमे राति ८ वजेदिस अपहरण कऽ क लऽगेल छल ।

विनिता अपन नन्दि रुन्ची आ अपने घर घुरबाक क्रममे घर आगुके सडकमे आबिरहल समय पाछुसँ आएल जीपके केबार खोलि कऽ एकाएक  जर्बजस्ती पकरि कऽ मुहँ दबैत गाडीमे बैसा कऽ लऽगेल बताओल गेल अछि ।

अपहरणके क्रममे बाटमे सदरे जीप चलौने आ अखतर अपनाके हल्ला करब तऽ ज्यानसँ मारयके धम्की दैत कन्पटिमे पेस्तोल रखने बतदलनि । बेल्हामे औलाबाद जीपसँ उतारि कऽ पेस्तोल देखबैत अपनाके कमला नदीदिस लऽ जाएके क्रममे पुलिस औलाबाद अख्तर भागल ओ बतौलिह ।  

अपहरण करय प्रयोग केने नम्बर प्लेट नहि रहल भारतीय मार्सल जीप आ जीप चालक सदरे आलमके पुलिस नियन्त्रणमे लेलक अछि । आलमके जिल्ला प्रहरी कार्यालय सिरहामे अनुसन्धानक लेल राखल आ अखतरके खोजी कार्य भऽ रहल  प्रहरी नायव उपरीक्षक जय सापकोटा बतौलनि ।
अहिबिच, बनैनीयाबासी आ सारस्वरबासी बेटीके अपहरण करयके आ बदनाम करावयके अपराधी दुनु  गोटेके तत्काल पकरि कऽ कारबाही करय माँग केलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन