Sunday, December 11, 2011

नेपालमे इन्टरनेट प्रयोगकर्ता ५४ प्रतिशतसँ बढल


नेपालमे इन्टरनेट प्रयोगकर्ताके संख्या एक बर्षके अबधीमे करिव ५४ प्रतिशतसँ बढल अछि । वाएरलेस, एडीएसएल, जीपीआरएस सहितक सेवाके विस्तारसँ इन्टरनेट प्रयोगकर्ता बढल अछि ।

नेपालमे अधिकांश इन्टरनेट प्रयोकर्ता फेसबुक आ ट्वीटर सहितक सामाजिक संजाल साइट आ इमेल खोलैत आएल नेपाल इन्टरनेट प्रोभाइडर एसोसिएसन जनौलक अछि । संघक अध्यक्ष बिनय बोहोरा डायलअप सहितक पुरान प्रबिधि घटैत गेल आ नयाँ प्रबिधिके प्रयोग बढिरहल बतौलनि ।

नेपाल दुरसंचार प्राधिकरणके तथ्याङ्क अनुसार बितल बर्ष करिव २४ लाख ५० हजार रहल इन्टरनेट प्रयोगकर्ताके संख्या अहि बर्ष ३५ लाख नब्बे हजार पहुँचल अछि । एक बर्षक अबधिमे वायरलेस तथा जीपीआरएस प्रबिधिके इन्टरनेट प्रयोगकर्ताके संख्या बहुत बढल तथ्याङ्क देखौलक अछि । अहि अबधिमे वायरलेस प्रयोगकर्ताके संख्या १३ हजार सँ २८ हजार, जीपीआरएसके प्रयोगकर्ता २२ लाखसँ ३२ लाख पहुँचल अछि तऽ  एडीएसएल प्रयोगकर्ताके संख्या करिव ७८ हजार पहुँचल अछि । एडीएसएल एके बर्षमे ५५ प्रतिशतधरि ग्राहक संख्या बढौलक अछि । जीपीआरएस सेवा देवयमे एनसेल आगु देखलगेल अछि तऽ नेपाल टेलिकम किछ पाछु परल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन