Wednesday, April 06, 2011

मतदाता परिचयपत्र अभियानप्रति मधेशवादी दलसभहक विरोध


काठमाण्डौ, चैत २३ । मधेशवादी दल निर्वाचन आयोग शुरु केने मतदाता परिचयपत्र अभियानप्रति विरोध जनौलक अछि ।

व्यबस्थापकिा संसदके आइ बैसल बैसारके सुरुमे सभामुखसंग समय लऽ कऽ मधेशवासी दलक नेतासभ नागरिकता परिचयपत्रके आधारमे मात्रे मतदाता परिचयपत्र देबयके अभियान सँ लाखौ मधेशी मतदान अधिकार सँ बँचित हाएत बतौलनि अछि । तराइ मधेश लोकतान्त्रिक पार्टीक ह्दयश त्रिपाठी नागरिकताके आधारमे मतदाता परिचयपत्र बनाबय निर्वाचन आयोग सुरु केने  अभियान त्रुटिपूर्ण रहल आरोप लगौलनि । तराइके हजारौं जनता नागरिकता विहिन भेल अवस्थामे सुरु कएलगेल अभियान सँ लाखौ मधेशीके मतदान अधिकार सँ बँचित बनाओत कहैत  त्रिपाठी मधेशीके लेल मान्य नहि हाएत बतौलनि ।

सदभावना पार्टीक लक्ष्मणलाल कर्ण नागरिकताके समस्या बाँकी रहल समयमे सुरु भेल मतदाता परिचयपत्र वितरण अभियानसँ सात प्रतिसत नागरिक मतदानके अधिकार सँ बँचित होबयके अबस्था आओत दावी कएलनि । कर्ण मधेशमे शान्ति सुरक्षा कायम करयके आ आतंकवादीके गिरफ्तार करयके बहानामे मधेशी जनताके दुःख देबयके आ आतंकित बनाबयके काम भेल टिप्पणी कएलनि । संसद बैसारमे विधायन समितिके सभापति यशोदा गुरुङ्ग सुवेदी मेलमिलाप कार्यविधिके सम्बन्धमे व्यबस्था करय बनल विधेयक सम्बन्धी समितिके प्रतिवेदन पेश कएलनि अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन