Wednesday, April 06, 2011

सकारात्मक सामाजिक अभियान शुरु करु: खनाल


काठमाडौं, चैत २३ । अर्थमन्त्रालयके सचिव जेहन प्रतिष्ठित आ आर्थिक आम्दानीके दृष्टिसँ लाभदायी पदसँ एकाएक राजीनामा देलाबाद चर्चामे आएल रामेश्वर खनाल नयाँ सकारात्मक सामाजिक अभियानक लेल एकतावद्व होबय आहृवान केलनि अछि ।
अपन कार्यकालमे देश आ जनतासँ बेसी पैसा आ शक्तिके लेल मरिमेट्यबला भ्रष्ट ब्यक्तिसभ भेटल बतौने खनाल भ्रष्टचार विरुद्व शान्तिपूर्ण अभियान शुरु करय आमनागरिकसँ अपिल कएलनि अछि । भ्रष्टचार समाजक क्यान्सर अछि,’ खनाल बहुचर्चित सोसल नेटवर्क साइट फेसबुकमे लिखने छथि-बढैत भ्रष्टचारसँ देशमे आर्थिक विखण्डन लाएल अछि त आर्थिक बृद्विके सम्भावनासभहक उपयोग होबय नहि सकल अछि ।

 नेपालीसभ नेपाल बन्द क कार्यालय, उद्योग तथा ब्यापार-ब्यवसाय ठप्प करय कुशल रहल कहैत खनाल आब नयाँ उदेश्य आ लक्ष्यके सँग सबके समृद्वि आ सफलताके लेल पृथक ढँगसँ सामाजिक अभियानमे लागय परत बतौलनि अछि ।
भ्रष्टचारकै कारण अन्तराष्ट्रिय समुदायमे नेपालके नाम कलंकित भेल आ निष्पक्ष बतावरणमे काम करय चाहयबलासभ अनावश्यक दुःख, झमेला सहय परल ओ  बतौने छथि । अहिके लेल आम नागरिक अपन काम किछ दिन अबेरसँ होइतो ७५ जिल्लामे कार्यरत कोनो सरकारी कर्मचारीके घुस नहि देबय सेहो आग्रह केने छथि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन