Wednesday, April 06, 2011

माओवादीक अन्त्य निश्चितेः काँग्रेसक सभापति कोइराला


जनकपुर , चैत २३ । नेपाली काँग्रेसक सभापति शुसिल कोइराला माओबादी देशमे तानाशाह लाबय चाहत त माओवादीक अन्त्य निश्चिते हाएत चेतावनी देलनि अछि ।
नेपाल शिक्षक सँघक १५ हम् राष्ट्रिय प्रतिनिधि सभाके उदघाटन कार्यक्रममे बजैत सभापति कोइराला कहलनि जे माओवादी देशमे तानाशाही लाबय चाहि रहल अछि जे माओवादीक पैघ भुल अछि ।
ओ कहलनि जे माओवादीक वाइसिएल आ अन्य दस्तासभ जनताके त्रसित करय लेल मात्रे भेलासँ एहन धाक धम्कीस काँग्रेस नहि डेराएत ।
शान्ति प्रकृयाके निश्कर्षमे पहुँचाबय एकता, सहकार्य आ मेलमिलापक आबश्यक्ता रहल उपर ओ जोड देलनि ।
अहिना कार्यक्रममे काँग्रेसक केन्द्रिय कोषाध्यक्ष चित्रलेखा यादब देश बिकासक लेल नयाँ तरिकासँ निति तथा कार्यक्रमके तर्जुमे केनाइ आबश्यक रहल बतबैत आबके लगानी शिक्षामे होबय परत बतौलनि ।
शिक्षक सँघक केन्द्रिय अध्यक्ष मोहन ज्ञवालीक अध्यक्षतामे सम्पन्न कार्यक्रम चैत २६ गतेधरि चलत ।
अहिबिच, प्रेस युनियन धनुषा सभापति कोइराला आ प्रेस युनियनके जनकपुरसँ नव निर्वाचित केन्द्रिय सदस्य श्री नारायण साहके सम्मान सेहो कएलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन