Wednesday, April 06, 2011

शिक्षा नियमावली विपरित सहमती देलगेल


जलेश्वर, चैत २३ गते । शिक्षा कार्यालय महोत्तरी शिक्षा नियमावली विपरित एक विद्यालयके शिक्षक भर्नाके लेल अनुमति देलक अछि ।  
शिक्षा कार्यालय महोत्तरी शिक्षा नियमावली तोकने नियमके बिना कोनो परवाह केने महोत्तरीके उच्च माध्यमिक विद्यालय बसविट्टी वसन्तपुरके शिक्षक भर्नाके लेल अनुमति देलक अछि ।  
उच्च मावि बसविट्टी वसन्तपुरमे जिल्ला शिक्षा समितिसँ स्वीकृत मावि दरबन्दी ६ आ विशेष शिक्षा परिषदसँ १ समेत क ७ दरबन्दी मे स अखन सामाजिक विषयके दरबन्दी रिक्त रहल अछि  । विद्यालयमे रहल बिभिन्न रिक्त दरबन्दीमे स विद्यालय रिक्त दरबन्दीमे अंग्रेजी शिक्षक विषय राखयके सल्लाह भेलासँ आवश्यक निर्देशन आ आवश्यक व्यवस्था मिला देबय जिल्ला शिक्षा कार्यालय महोत्तरीमे माँग केने छल ।
एम्हर, जिल्ला शिक्षा कार्यालय महोत्तरीके निमित्त जिल्ला शिक्षा अधिकारी सुरेश प्रसाद सिंह शिक्षा नियमावलीके बिना कोनो परवाह केने अनुमति देने विद्यालय श्रोत जनौलक अछि । स्रोतक अनुसार शिक्षा नियमावली रिक्त पदमे मात्रै पदपूति करयके उल्लेख रहितो सिंह दु दु टा शिक्षक रहल अंग्रेजी विषयमै पदपूर्ति करयके अनुमति देलक अछि ।
स्रोतक अनुसार किछ अभिभावक तथा शिक्षकसभ जिल्ला प्रशासन कार्यालय महोत्तरीमे उजुरी करितो ओ निकायसभ  किछ नहि केने जानकारी देलनि अछि । 

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन