Wednesday, April 06, 2011

भुमिसुधार मन्त्रालय भेटत त सरकारमे जाएबः महासचिव मैनाली


सिन्धुली, चैत २३ । नेकपा मालेक महासचिव सिपि मैनाली एकिकृत माओवादी आ नेकपा एमाले विच भेल सातवुँदे सहमती अपन पार्टिके कोनो हालतमे मान्य नहि हाएत वतौलनि अछि ।
 आइ सिन्धुलीमाढीमे कार्यकर्ता भेटघाट कार्यक्रममे सभाषद समेत रहल माले महासचिव मैनाली इ वतौलनि अछि । सँगहि आव भुमिसुधार मन्त्रालय भेटत तखने मात्र झलनाथ खनाल नेतृत्वक सरकारमे जाएब नहि त नेकपा माले कोनो हालतमे सरकारमे नहि जाएत वतौलनि । महासचिव मैनाली माले कार्यकर्ता बिच करिव २ घण्टा बिमर्श कऽक उदयपुर गेल छथि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन