Wednesday, April 06, 2011

समस्यासभहक जल्दी सँ जल्दी समाधान करबः नगरपालिका प्रमुख साह


जनकपुरधाम, चैत २३ । नागरिक समाज जनकपुर , जनकपुर नगरपालिकाके प्रमुख राजकिशोर साहके समक्ष एक डेलिगेशन प्रस्तुत करैत नगरक समस्याक बिषयमे बृहत बिमर्श केलक अछि ।
जनकपुर नगर भितर रहल सर सफाइ,  मच्छरक नियन्त्रण, नाला सफाइ, सडकके ब्यबस्था, बिजुली बत्तीके ब्यबस्था सहितक बिभिन्न बिषयमे नागरिक समाज आ प्रमुख शाह बिच बिमर्श भेल अछि ।
बैसारक बाद प्रमुख शाह समस्यासभहक जल्दी सँ जल्दी समाधान करबाक आश्वाशन देने समाजक सदस्य सचिव राम बाबु साहद्धारा जारी बिज्ञप्तिमे उल्लेख अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन