Wednesday, April 06, 2011

संविधान नहि बनयके खतरा बढल कहैत सभासदद्वारा चिन्ता व्यक्त


काठमाण्डौ, चैत २३ । सभासदसभ संविधान जारी करयके समय लक्चियाइतो संविधान बनयके आ नै बनयके अन्यौल बढल कहैत चिन्ता व्यक्त केलनि अछि ।

 एक दोसरके आरोप प्रत्यारोप करयके बदला संविधानसभाके बाँकी समयके भरतूर सदुपयोग क तोकले समयमै संविधान जारी करयके बाताबरण सृजना करय माँग केलनि अछि । व्यवस्थापिका संसदके आइ बैसल बैसारके विशेष समयमे एकीकृत माओवादीके लोकेन्द्र विष्ट मगर संविधान जारी करयके समयके भरपूर सदुपयोग कऽकऽ आगामी जेठ १४ मे संविधान जारी करय परत  बतौलनि ।

संविधान जारी करयके  समय एक महिना २२ दिन मात्रे बाँकी रहितो  संविधान बनयके नहि बनयके अन्यौलता बढल स्मरण करबैत दलसभ आरोप प्रत्यारोपमे नहि लागि कऽ संविधान निर्माणमे केन्द्रीत होबय  आग्रह कएलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन