Friday, September 16, 2011

संवैधानिक निकायमे खुल्ला प्रतिष्पर्धासँ नियुक्ति कएल जाएत


३० भादव, काठमाडौं । संवैधानिक निकायमे खुल्ला प्रतिष्पर्धासँ नियुक्ति होबय लागल अछि । बाबुराम भट्टराई प्रधानमन्त्री भेलाबाद आइ पहिल बेर बैसल संवैधानिक परिषदक बैसार सँ संवैधानिक निकायमे खुल्ला प्रतिष्पर्धासँ नियुक्ति करय जका मापदण्ड तथा आधार तय केलक अछि ।

अहिसँ आगु संवैधानिक निकायके प्रमुख तथा पदाधिकारीसब दलिय भागबण्डाके आधारमे राजनीतिक नियुक्ति कएल जाइत छल । हाले मात्र संसदके राज्य ब्यवस्था समिति प्रधानमन्त्रीके बजा कऽ संवैधानिक निकायमे खुल्ला प्रतिष्पर्धासँ नियुक्ति करय निर्देशन देने छल ।

बैसार सँ किछ दिनमे १५ दिना सूचना जारी कऽकऽ नियुक्तिके लेल व्यक्तिगत विवरण माँग करयके  निर्णय केने प्रमुख प्रतिपक्षी दल नेपाली कांग्रेसक संसदीय दलक नेता रामचन्द्र पौडेल जानकारी देलनि । प्राप्त व्यक्तिगत विवरणके आधारमे योग्य व्यक्तिके युक्त कएल   जाएत परिषद जनौलक अछि ।

दलसबबीच भागबण्डा नहि मिललासँ अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोग, निर्वाचन आयोग, लोकसेवा आयोग आ महालेखा परीक्षकके कार्यालय लम्बा समयसँ प्रमुख तथा पदाधिकारी विहीन अछि ।

अहिबीच परिषद्क अध्यक्ष एवं प्रधानमन्त्री उपप्रधान एवं गृहमन्त्री विजयकुमार गच्छदार, उर्जामन्त्री पोष्टबहादुर वोगटी आ सञ्चारमन्त्री जेपी गुप्ताके सदस्यमे मनोनीत केने अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन