Friday, September 16, 2011

राज्यमन्त्री नहि राखयके सम्भावना


काठमाडौं, भादव ३० । प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई सरकारमे राज्यमन्त्री नहि राखयके पहल केलनि अछि ।

दु बेर तोकल गेल राज्यमन्त्रीके शपथ प्रधानमन्त्री भट्टराई रोकलनि अछि । मधेसी जनअधिकार फोरम लोकतान्त्रिक नाम पठौने राज्यमन्त्रीके शपथ काल्हि साँझ आ आइ बेरियामे १ बजे कऽ  दु बेर तोकल गेल छल।

'आइ शपथ नहि भेल,' प्रधानमन्त्रीक एक सहयोगी कहलनि, 'काल्हि, परसु होबय सकत मुदा  प्रधानमन्त्री राज्यमन्त्री नहि राखयके मनसायमे रहल ओ जानकारी देलनि ।

प्रधानमन्त्री अहिसँ आगु मोर्चासँग भेल बिमर्शमे सेहो सरकार छोट आकारके बनाबयके प्रस्ताव करैत आएल छलथि । मुदा पार्टीभितर मिलाबय दिक्कत हाएत कहैत मोर्चा सम्बन्द्ध दलसब राज्यमन्त्री राखयके दबाब दैत आएल अछि ।

फोरम लोकतान्त्रिक गृह राज्यमन्त्रीमे भीमराज राजवंशी, रामबच्चन यादवके रक्षा, लक्ष्मण मेहताके वन आ दुर्गादेवी महतोके वातावरण राज्यमन्त्रीमे सिफारिस केने छल ।

स्रोतक अनुसार अन्य मोर्चासम्बद्ध दलसब सेहो राज्यमन्त्री सिफारिस करितो सार्वजनिक नहि केने अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन