Friday, September 16, 2011

माफी नहि माँगत तऽ पार्टी फुटत: सचिव गजुरेल


सिन्धुली, भादव ३० । माओवादीक सचिव सीपी गजुरेल चाबी  हस्तान्तरण प्रकरणमे संस्थापन पक्ष आगामी केन्द्रिय समितिक बैसारमे माफी नहि माँगत तऽ पार्टी फुट्त चेतावनी देलनि अछि ।

सिन्धुलीमाढीमे आइ  आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे सचिव गजुरेल अखन कुन पक्ष मजबुत अछि कहि कऽ पता नहि लगलासँ पार्टी एकता कायम करय नयाँ बिधि बना कऽ जाए जरुरी रहल बतौलनि ।

अपन दिससँ पार्टी फुटाबयके कोनो योजना नहि रहल दावी करैत सचिव गजुरेल क्रान्तिके फाइदा पुगयबला रहत तऽ फुटय सकत बतौलनि । संस्थापन पक्ष इलाम आ सुनसरीमे केने बिरोधके उदण्डताके संज्ञा दैत सचिव गजुरेल ओहन सत्रुतापूर्ण व्यवहारसँ एकता कायम करय कठिन हाएत जनौलनि ।

अखन माओवादी मधेशवादीके एजेण्डा लऽ चलल कहैत सचिव गजुरेल सरकार निर्माण करैत काल भेल ४ बुँदे सहमति माओवादीके नहि भऽ मधेशवादीके मुद्दा रहल बतौलनि । सचिव गजुरेल मधेशवादी दलके तराईके जमिन्दारके टुकडीके संज्ञा  देलनि ।

चाबी हस्तान्तरणके चर्चा करैत सचिव गजुरेल ककरो बिना मँगनेहि ल जा कऽ बुझेनाइ आत्मसमर्पणवादी कदम रहल बतौलनि । स्थायी समितिक बैसारसँ चाबी हस्तान्तरण बिशेष समितिके करयबला निर्णय नहि भेल कहैत ओ बिशेष समितिमे समेत चाबी हस्तान्तरण विषय कतौक उल्लेख नहि भेल तर्क केलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन