Friday, September 16, 2011

संसदमे प्रधानमन्त्रीक संबोधन, किछ दिन बाधा अवरोध नहि करय आग्रह


काठमाडौ, भादव ३० । प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई शान्ति आ संविधानके निष्कर्षमे पहुँचाबयके काजमे किछ दिन वाधा अवरोध नहि करय सबसँ आग्रह केलनि अछि ।

प्रधानमन्त्री भेलाबाद आइ संसदमे पहिल बेर संबोधन करैत प्रधानमन्त्री भट्टराई सरकार एक/एक मिनेट सकरात्मक परिणाम लाबय लेल खटिरहल  उल्लेख करैत किछ समय वाधा अवरोध नहि कऽ देबऽ दलसबसँ आग्रह केलनि अछि ।

सरकार करय चाहने माओवादी लडाकुके पुनबर्गिकरणके विरोध आ शान्ति प्रकृया सम्पन्न नहि होबयधरि संविधान लेखन नहि हाएत काँग्रेस आ एमाले नेतासबहक अडानके समय ओ संसद मार्फत एहन अपिल कएलनि अछि ।

'शान्ति आ संविधानके पूर्णता देबय सब दलके मिल कऽ जाए परत' ओ कहलनि जे, 'विगतके आन्दोलनमे सहकार्य केने जका अखन सहकार्यके आवश्यकता अछि ।'

ओ वैचारिक राजनीतिक मुद्दामे स्वस्थ्य प्रतिस्पर्धा करय  तथा शान्ति आ संविधानमे हातेमालो कऽकऽ आगु बढ्य समेत आह्वान केलनि अछि ।

ओ सरकार कऽ रहल कामसबप्रति शंका नहि करय आग्रह करैत किछ काम सँ जनतामे आशा जागल समेत दावी केलनि । ओ कहलनि अखन भेल काम ट्रेलरमात्रे अछि, बहुत काज करय बाँकी अछि ।राहत प्याकेज, कालाबजारी तथा मिलाबट नियन्त्रणके प्रयास, मितव्यिता, शिविरके चाबी हस्तान्तरण सहितक काज अहि अवधीमे भेल उल्लेख केलनि ।

अपने मुस्ताङ गाडीके प्रयोग लोकप्रियताके लेल नहि भऽ मित्तब्यिताके लेल प्रयोगमे लौअने ओ बतौलनि ।

सँगहि ओ सरकारके राष्ट्रिय स्वरुप देबयके प्रयास जारी रहल  उल्लेख करैत बडका उद्योगसबमे लगानीके वातवरण बनाबयके, सब क्षेत्र समावेशी करयके, राज्यके स्रोत साधनमे सबके पहुँच पहुँचाबयके, श्रमजीवी पत्रकारक विमा करयके, मिडिया उद्योग खोलैत काल धरौटीके व्यवस्था करय सहितक काज बाँकी रहल आ इ सब करयके प्रतिबद्धता जनौलनि ।

साथे शान्ति, संविधान आ जनतामे रहल निराशा कम करय तीन टा दायित्व सरकारसंग रहल उल्लेख करैत सबके साथ चाही बतौलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन