Friday, September 16, 2011

शान्तिके लेल आरो नरम होबय तयार छीः प्रचण्ड


३० भादव, काठमाडौँ । एकीकृत नेकपा माओवादी आरो थप लचकता प्रदर्शन कयियो कऽ अपन पार्टी शान्तिप्रक्रिया आ संविधान निर्माणकार्य निष्कर्षमे पहुँचाइए कऽ छोड्त बतौलनि अछि ।

एबीसी टेलिभिजन आ सर्वहारा कोष आइ राजधानीमे आयोजना केने कार्यक्रममे बजैत प्रचण्ड शान्ति आ संविधानक काम गति नहि लेला मे ककरो दोष देबयके पक्षमे अपने नहि रहल  बतौलनि । आगामी तीन महिना अपने ककरो आलोचना नहि करब कहैत ओ अपन पार्टीके शान्ति प्रक्रियाप्रतिके प्रतिबद्धतामे शंका नहि करय आग्रह कएलनि । सँगहि ओ कांग्रेस आएमालेसँ रचनात्मक सहयोगके अपेक्षा सेहो रखलनि ।

वायह कार्यक्रममे बजैत कांग्रेसक वरिष्ठ नेता शेरबहादुर देउवा शान्तिप्रक्रिया आगु बढाबय समय आ आसान दुनु नहि रहल टिप्पणी कएलनि । माओवादी हतियारके चाबी बुझाबय ४ वर्ष लगौने कहैत एहन अबेर गतिमे शान्ति प्रक्रिया पुरा होबय नहि सकत दाबी केलनि । कांग्रेस शान्तिप्रक्रिया सफल करय कोनो सहयोगके लेल तयार रहल  देउवाक कहब छलनि ।

एमाले अध्यक्ष झलनाथ खनाल अपने प्रधानमन्त्री रहल समय शान्तिप्रक्रिया आगु बढाबय भरपुर प्रयास करितो माओवादी आ कांग्रेसक असहयोगके कारण सफल होबय नहि सकल उपराग देलनि ।

परराष्ट्रविद् रमेशनाथ पाण्डे नेपालक आन्तरिक मामिलामे वैदेशिक हस्तक्षेप बहुते बढल कहैत चिन्ता व्यक्त कएलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन