Tuesday, October 25, 2011

गद्दाफ़ीके शवके अज्ञात स्थान पर दफ़नाओल गेल


८ कातिक लिबिया ।  लीबिया के अंतरिम प्रशासन (एनटीसी)के अधिकारीके अनुसार कर्नल गद्दाफ़ीके शवके अज्ञात स्थान पर दफ़नाओल गेल अछि ।

एनटीसीके प्रवक्ता एक बयानमें कहलनि जे गद्दाफ़ीके आइ भिन्सर दफ़नाओल गेल अछि । प्रवक्ता इहो बतौलनि जे गद्याफीके बेटाके सेहो गद्दाफ़ीएके सँगे गाडल गेल अछि ।

जनकारीके अनुसार गद्दाफ़ीके किछ रिश्तेदार आ अधिकारी ओ समयमे उपस्थित छल । अहिसँ आगु काल्हि धरि गद्दाफ़ीके शव मिसरातामें एक कोल्ड स्टोरेजमें राखल गेल छल । गद्दाफ़ीके मृत्यु केना कऽ भेल इ अखनो स्पष्ट होबय नहि सकल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन