Tuesday, October 25, 2011

जनकपुरक सुरक्षा ब्यबस्था कडा


८ कातिक जनकपुरधाम । दियाबाती आ छठि पावनिके ध्यानमे रखैत जिल्ला प्रशासन कार्यालय आ जिल्ला प्रहरी कार्यालय जनकपुरक सुरक्षा ब्यबस्था कडा बनाबयके निर्णय केलक अछि ।

धनुषाक बिभिन्न सुरक्षा निकायके प्रमुखसबहक आइ भेल एक बैसारसँ एहन निर्णय केलक अछि । धनुषामे बिभिन्न पावनि तिहारक समयमे अपराधिक तत्वसब अपराधके बढाबा दैत आबिरहल आ एहन समयमे बिभिन्न किसिमक हत्या हिँसा जेहन घटनासब होइत आबि रहलासँ ओइके नियन्त्रण करय सुरक्षा ब्यबस्था कडा बनाओल गेल धनुषाक एसपी हरि बहादुर पाल बतौलनि अछि ।

दियाबातीसँ छठि धरि जनकपुरक सुरक्षा ब्यबस्था कडा बनाबय लेल ठाम ठाम पर पुलिस परिचालन कएल गेल अछि तऽ कडा चेक जाँच सेहो भऽ रहल अछि ।

अहिना दियाबाती तथा छठि पावनिक अवसरमे नेपाल निषेध कएलगेल फटाका तथा बिष्फोटक जन्य पदार्थसब नहि फोरय जिल्ला प्रहरी कार्यालय सबसँ आग्रह केलक अछि । गृह मन्त्रालयके निर्देशन रहल कहैत अहि किसिमक बिष्फोटक पदार्थक खरिद बिक्रि कएने पाओल गेल तऽ कडा कारबाही कएल जाएत सेहो पाल बतौलनि ।

बैसारमे धनुषाक नेपाल प्रहरी प्रमुख, सशस्त्र प्रहरी प्रमुख एसपी एस एसपी सहितक उच्च अधिकारीसबहक सहभागिता छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन