Tuesday, October 25, 2011

प्रचण्ड आ बाबुराम पार्टी छोडि कऽ जाउः गजुरेल


८ कात्तिक, सिन्धुली । एकीकृत नेकपा माओवादीक उपाध्यक्ष मोहन बैद्य पक्षक सचिव सीपी गजुरेल अध्यक्ष प्रचण्ड उपाध्यक्ष एवं प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराईके पार्टी छोडि कऽ जा चेतावनी देलनि अछि

सिन्धुली सदरमुकाममे आइ आयोजित एक कार्यक्रमम सचिव जगुरेल प्रचण्ड बाबुराम नेपाली क्रान्ति उपर धोका गद्धारी केलासँ हुनकासबके पार्टीम रहयके नैतिक अधिकार नहि रहल दाबी कएलनि । प्रचण्ड बाबुरामके कारबाही कऽ क अपनेसब पार्टीसँ बिदाई कऽ देब घोषणा कएलनि । सचिव गजुरेल भारतसँग प्रधानमन्त्री भट्टराई केने बिपा सम्झौता राष्ट्रघाती भेल आरोप दोहरौलनि । प्रचण्ड बाबराम भारतक दलाली करय लेल बिपा केने हुनक आरोप छलनि । सम्झौतासँ भारतम डुब उद्योग नेपाल आबयके बाट खुला केने हुनक आरोप छन्हि । बिपा सम्झौताम भारतीय उद्योग कमौने नाफा अपने देश लऽ जाएके आ घाटा हाएत तऽ नेपाल सरकारके देबयके प्रावधान रह जिकिर करैत ओ ओइसँ देशके आर्थिक स्थिति खत्तम हाएत कहैत वायह कारण अपनेसब बिपाक विरोध केने जिकिर कएलनि

प्रचण्ड बाबुराम क्रान्तिक बात छोडि कऽ एकतर्फी शान्तिक मात्रे बात कऽ रहल कहैत गजुरेल आपत्ति जनौलनि पार्टी फुट्यके या जुट्यके निर्णय आगामी केन्द्रीय समिति बैसारसँ हाएत खुलासा समेत कएलनि

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन