Tuesday, October 25, 2011

अपन आलोचना नहि करय दाहालसँ थापाके आग्रह


बुटवल, कार्तिक ८ । माओवादी महासचिव रामबहादुर थापा अपने पार्टीक महासचिवके चुनौति आ आलोचना कऽ क समय बरवाद नहि करय अध्यक्ष पुष्पकमल दाहालसँ आग्रह केलनि अछि ।

बुटवलमे आइ पत्रकारसबसँग बातचित करैत थापा सकब तऽ सामन्तवादी, प्रतिकृयावादी, विस्तारवादी आ दलालीके आलोचना करय चुनौति देलनि । अध्यक्ष छि कहि कऽ अपने उठौने आ नहि उठौने विषयमे सेहो टिप्पणी आ चुनौति दैत चलब कहैत महासचिव थापा संस्थापन रहल नाममे पार्टीके नीति नियम आ निर्णय उलंघन करय ककरो नहि मिलत टिप्पणी कएलनि ।

सिलिगुडीमे अध्यक्षके हेराएके, मिडिया तथा आम जनता भारतीय गुप्तचर संस्था '' सँग भेटने कहि कऽ आवाज उठबैत एलासँ अपने सेहो रहस्यमय भ्रमणबारे अध्यक्षसँग स्पष्ट करय आग्रह केने बतबैत थापा अध्यक्ष दाहालके चुनौतिके बदला स्पष्टीकरण देनाइ उचित हाएत बतौलनि ।

महासचिव थापा पार्टी उपाध्यक्ष तथा प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराईके भारत भ्रमणआगु विवादास्पद सन्धी सम्झौता नहि करय पार्टी निर्देशन दैतो ओ बिपा सम्झौता कऽ क पार्टीके निर्णयके अवज्ञा केने दावी कएलनि । बिपा सम्झौताबारे प्रधानमन्त्रीसँग स्पष्टिकरण पुछल जाएत ओ बतौलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन