Thursday, October 20, 2011

एक पैदल यात्रीके मृत्यु


३ कातिक जनकपुरधाम । जनकपुरक जिरोमाईल चौकमे मोटरसाईकलक ठक्करसँ आइ एक पैदल यात्रीके मृत्यु भेल अछि ।

 ज ३ प ४१८१ नम्बरक मोटर साईकलके ठक्करसँ अन्दाजी ५५ वर्षक व्यक्तिके मृत्यु भेल जिरोमाईल प्रहरी चौकी जनौलक अछि । मृतकके सनाखत होबय नहि सकल अछि । ठक्कर देबयबला मोटरसाईकल आ चालकके जिल्ला प्रहरी कार्यालयमे राखलगेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषा जनौलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन