Thursday, October 20, 2011

लडाकुके सातो शिविरमे प्राविधिक परिचालन करयके बिशेष समितिक निर्णय


३ कातिक काठमाडौँ । सेना समायोजन बिशेष समितिक बैसारसँ माओवादी लडाकुसबहक सातो शिविरमे प्राविधिक टोली पठाबयके निर्णय केलक अछि ।

तीन दलक बिमर्शक बाद प्रधानन्त्री निवास बालुवाटारमे बैसल बिशेष समितिक बैसारसँ शिविरमे रहल लडाकुके विवरण अद्यावधिक करय टोली खटाबयके निर्णय केने बिशेष समिति सदस्य जीतेन्द्र देव जानकारी देलनि । अहिसँ आगु बिशेष समिति २ सय १० गोटे सर्वेक्षण टोली गठन करयके निर्णय करितो ओकरसबहक नियुक्ति नहि भेल अछि । आजुक बैसारसँ नियुक्ति प्रक्रिया तत्काल सुरु कऽ हुनकासबके शिविरमे पठाबयके निर्णय भेल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन