Thursday, October 20, 2011

स्थायी सरकार नहि भेलासँ देशके राजनीतिक अस्थिरः राष्ट्रपति


काठमाडौ, कार्तिक ३ । राष्ट्रपति रामवरण यादव स्थायी सरकार नहि भेलासँ देशमे राजनीतिक स्थिरता कायम होबय नहि सकत बतौलनि अछि ।

जयन धर्म आचार्य श्री महाश्रवण नेपाल आगमन मूल समारोह समितिक टोलीसँग राष्ट्रपति यादव शान्ति स्थापनाक बाद देशमे स्थायित्व कायम होबयके विश्वास व्यक्त कएलनि ।

कार्यक्रमबारे जानकारी देबय समितिक संयोजक राज्य लक्ष्मी गोल्छा सहितक टोली  आइ राष्ट्रपति भवन शीतल निवास पहुँचल छलथि । सन् २०१५ मे भारतक राजस्थानसँ पैदल आबय लागल महाश्रवण नेपालमे प्रवचन देबयके टोली बतौलक अछि ।

हत्या आ हिंसाके अन्त्य बिना कोनो राष्ट्र सफल नहि हाएत कहैत ओ आगामी किछ वर्षमे नेपालमे शान्ति स्थापना भ जाएके विश्वास व्यक्त केने छलथि 
राष्ट्रपति यादव शान्ति स्थापनाक बाद सन् २०१५ के हत्या हिंसा विरोधी वर्षक रुपमे मनाबय परत समेत बतौलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन